बाला मैया यै, अहाँ सुनू मोर विनती,
तारा मैया यै, अहाँ सुनू मोर विनती।
सुनू मोर विनती कि सुनू मोर विनती-2
बाला मैया यै, अहाँ.......2
नगर-नगर दर-दर हम भटकलों,-2
अहाँ कहियो माँ हमरा दिश नै तकलौं।-2
पकैड़ लिय यै-2 माँ हमर ऊँगली
बाला मैया यै अहाँ.......2
माँ तारणी अहाँ कहबै छी-2
अहीं माँ इ दुनियाँ चलबै छी-2
आब सुनियो कन्नें यै-2 माँ गौतम केर अर्जी-2
बाला मैया यै अहाँ.......2
अहीं धुमावती भुवनेश्वरी कहबै छी-2
भक्तक रक्षा लेल माँ बुढ़िया बनल छी-2
माँ रक्षा करू यै-2 अप्पन बालक केर जल्दी
बाला मैया यै अहाँ.......2
- गौतम गोविन्द।
©g.govind
G